
भक्तपुर, ३ माघ: एहि वर्षक माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसईई) नियमित तथा ग्रेडवृद्धि परीक्षा अगिला चैत ७ सँ १९ धैर संचालन होबाक भेल अइछ।
परीक्षा भोर ८ बजेसँ ११ बजेधैर होएत। पहिल दिन, चैत ७ गते वृहस्पैतदिन, अनिवार्य अंग्रेजी विषयक परीक्षा होएत। तहिना, संस्कृत वेदविद्याश्रमदिस अनिवार्य संस्कृत रचना आ मदरसादिस अनिवार्य अरबी भाषाक परीक्षा सेहो ओहि दिन होएत, परीक्षा नियन्त्रक नन्दलाल पौडेल जानकारी देलैन। चैत ८ गते, दोसर दिन, अनिवार्य नेपाली विषयक परीक्षा होएत, आ गैर-नेपाली विद्यार्थी लेल ऐच्छिक अंग्रेजीक (इलेक्टिभ इङ्लिस) परीक्षा सेहो ओहि दिन होएत। चैत १० गते रैवदिन अनिवार्य गणित, चैत १२ गते मंगल दिन अनिवार्य विज्ञान आ प्रविधि विषयक परीक्षा, सङे संस्कृत वेदविद्याश्रम आ मदरसादिसक ऐच्छिक विषयक परीक्षा सेहो होएत।
चैत १३ गते बुध दिन अनिवार्य सामाजिक अध्ययन आ प्राविधिक धारक ऐच्छिक विषयसभक परीक्षा होएत। चैत १४ गते वृहस्पैतदिन संस्कृत वेदविद्याश्रम आ प्राविधिक धारक विभिन्न ऐच्छिक विषयक परीक्षा होएत। चैत १५ गते शुक्र दिन साधारण आ संस्कृतदिसक ऐच्छिक विषयसभ आ प्राविधिक धारक कृषि आ पशुपालनसम्बंधी विषयक परीक्षा होएत। चैत १६ गते शैनदिन प्राविधिक धारक विभिन्न विषयसभक परीक्षा होएत। चैत १७ गते रैवदिन आ चैत १८ गते सोम दिन क्रमशः प्राविधिक धारक विभिन्न विषयसभ आ अनिवार्य स्वास्थ्य, जनसङ्ख्या आ वातावरण शिक्षाक परीक्षा होएत। ओहि दिन वेदविद्याश्रमदिस कर्मकाण्ड आ फलित ज्योतिषक परीक्षा सेहो होएत। परीक्षाक अन्तिम दिन, चैत १९ गते मंगलदिन, प्राविधिक धारक विभिन्न विषयसभक परीक्षा संचालन होएत, परीक्षा नियन्त्रक पौडेल जानकारी देलैन।
प्रतिक्रिया