
काठमाण्डू, २ माघः प्रतिपक्षी राजनीतिक दलके नेता तुरत संसद् अधिवेशन आह्वान करबाक मांग केलक अइछ ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) संसदीय दलके कार्यालयमे आइ भेल विपक्षी दलसभक बैसारमे जनसरोकारक विषय आ कानुनके निर्माणबारे बातचित लेल तुरत संसद् अधिवेशन आह्वानके मांग केलक अइछ ।
“जनप्रतिनिधिके संस्थाकेँ छोइड़ क सरकार एहिने काज करैत रहत तँ संसद्के विशेष अधिवेशन बोलेबाक प्रयास करबामे हमरासभक समझदारी बनल अइछ”, माओवादी केन्द्रक उपमहासचिव वर्षमान पुन बैसारके बाद कहलैन । संविधानअनुसार संसद् अधिवेशन वा बैसार बोलाएब वाञ्छनीय अइछ तँ प्रतिनिधिसभाके सम्पूर्ण सङ्ख्याके एकचौथाइ सदस्यद्वारा लिखित आग्रह कएलापर राष्ट्रपतिद्वारा बैसार आह्वान करए सकबाक व्यवस्था अइछ ।
विशेष अधिवेशन आह्वानके प्रस्ताव राष्टपतिसमक्ष प्रस्तुत करबाक लेल कम्तीमे ६९ सदस्यके हस्ताक्षर आवश्यक हएत । बैसारमे माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) के अध्यक्ष माधव नेपाल, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के कार्यवाहक अध्यक्ष डिपी अर्याल, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी, नेपाल आम आदमी पार्टीलगायत पार्टीके नेतासभ सहभागी छलैथ ।
प्रतिक्रिया