
काठमाण्डू, २ माघः नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घसहित निजी क्षेत्रके सङ्घ–संस्थासभ हाले जारी भेल अध्यादेशसँ देशमे लगानी आ व्यवसायके वातावरण अभिवृद्धि हएत कहैत नेपाल सरकारकेँ धन्यवाद देने अइछ ।
प्रधानमन्त्री निवास, बालुवाटारमे आइ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, उपप्रधानमन्त्री एवं अर्थमन्त्री विष्णुप्रसाद पौडेल, गृहमन्त्री रमेश लेखकसहित अन्य मन्त्रीको उपस्थितिमे महासङ्घक अध्यक्ष चन्द्रप्रसाद ढकाल, नेपाल उद्योग परिसङ्घक अध्यक्ष राजेशकुमार अग्रवाल, नेपाल चेम्बर अफ कमर्शक अध्यक्ष कमलेश अग्रवाल, नेपाल उद्योग तथा व्यावसायी महासङ्घक अध्यक्ष भगीरथ सापकोटा अध्यादेशमे भेल लगानी आ व्यवसायसम्बन्धी विषय स्वागतयोग्य भेल कहलैन ।
निजी क्षेत्रके प्रतिनिधि कोभिड–१९ बाद सङ्कुचित अर्थतन्त्रकेँ उठेबाक लेल ई अध्यादेश प्रभावकारी भेलासँ एकर कार्यान्वयनमे यथाशक्य उपयुक्त नियमावली आ कार्यविधि अनबाक मांग केलैन । अध्यादेशसँ निजी क्षेत्रमे नयाँ रक्त सञ्चार हएत कहैत ओसभ लगानीमैत्री वातावरण सृजना एहिना ढङ्गसँ होइत रहत तँ समृद्ध नेपाल, सुखी नेपालीक राष्ट्रिय आकाङ्क्षा पूरा होबाक बताैलैन । सरकारक सिफारिसमे राष्ट्रपतिद्वारा वितल पुस २९ गते विभिन्न चाइर अध्यादेश जारी भेल छल तँ भूमी व्यवस्थासम्बन्धी अध्यादेश जल्दिए जारी होबाक क्रममे अइछ ।
कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री ओली बढ़िया काज करैबला सरकारक सदासयताकेँ सकारात्मकरुपमे बुझलापर खुसी व्यक्त करैत सरकार खसैत छै से बजारमे हल्ला अनलोपर सत्ता गठबन्धनके दल देश बनेबाक लेल नीति निर्माणमे प्रभावकारी ढङ्कसँ डेग उठा रहल स्पष्ट केलैन । प्रधानमन्त्री ओली देश बनाबी भावना सबमे भेलासँ अपन स्वार्थके लेल जखनि तखनि विरोधके बाहेक आम लोकके विकाश आ सुशासन चाहिरहल बताैलैन अइछ । सुशासन, विकाशसङ सम्बन्धित व्यावहारिक आ अनुकूल नीति अनलापर समृद्धि असम्भव नै हेबाक ओ बताैलैन ।
प्रतिक्रिया