महोत्तरी,
बर्दिबास मेडिकल कलेजक लेल जमीन यकिन नै भेलासँ स्थानीय निराश भेल छैथ । ओसभ वन विभाग कलेजक लेल प्रस्तावित वनक्षेत्र एकलौटी रूपमे नै देबाक आशय व्यक्त कएलाक बाद अपने गामँठामँमे शिक्षण अस्पताल बनैबला आशमे निराश बनल अइछ । कलेजके लेल प्रस्तावित जमीनमे अइ ठाँम काटल जेबाक गाछी आ तकर सोधभर्नाक सम्बन्धमे निर्णय नै भेलासँ समस्या भेल अइछ ।
शिक्षा मन्त्रालय आ वनविभागकेँ निरन्तर पहलक लेल कहल जा रहल मेडिकल कलेज आयोजना कार्यालयक निर्देशक देवीप्रसाद सुवेदी बतौलैन । कलेज निर्माणक लेल प्रस्तावित बर्दिबास–४ के माइस्थानस्थित अटावे आ भब्सी खोलाबीचके वनक्षेत्रके ४९ हेक्टर जमीनबारे सर्वोच्च अदालतमे पड़ल मुद्दा किछ समय प्रक्रिया रोकल गेलोपर मुद्दाक फैसला भेलाक बाद आब प्रस्तावित जमीन, काटल जाएबला गाछी आ तकर सोधभर्नाबारे निर्णय हेबाक ओ कहलैथ ।
अदालत प्रस्तावित जमीनके गाछी काटलाक बाद वातावरणीय प्रभावकेँ दृष्टिगत क काटल गाछीसँ १० गुणा बेसी गाछी रोपबाक सर्तमे कलेज निर्माण लेल आदेश देल गेल अइछ । ओइ आदेशअनुसार बर्दिबास–५ टुटेश्वरधाममे २० हजार बीजू रोपल गेल अइछ ।
कलेजक लेल प्रस्तावित वनक्षेत्रमे एक हजार ९६७ गाछीके बदला बर्दिबास नगरक्षेत्रक विभिन्न ठामँक परती जमीनमे लगभग ३० हजार बीजू रोपल गेल अइछ। सरकार आर्थिक वर्ष २०७३÷०७४ के नीति तथा कार्यक्रममे कलेज निर्माणक लेल शिक्षा मन्त्रालयक अगुवाइमे जमीन छनौट कार्यदल बनौने छल तँ २०७६ मे बर्दिबासमे बर्दिबास मेडिकल कलेज पूर्वाधार निर्माण विकाश आयोजना कार्यालय स्थापना केने छल । एहिबीच, प्रमुख जिला अधिकारी लालबाबु कवारी अइ सम्बन्धमे सम्बद्ध पक्षसङ समन्वय करबाक बतौलैन अइछ ।
प्रतिक्रिया