काठमाण्डू,
नेपाल प्रिमियर लिग ९एनपिएल० के फाइनल खेलमे क्रममे अभद्र व्यवहार करैबला दू गोटेकेँ नेपाल प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अइछ । पकड़ाएल व्यक्ति डोटी आदर्श गाउपालिकाके २१ वर्षीय अशोक साउद आ डोटी दीपायल सिलगढी नगरपालिकाक १९ वर्षीय गणेश साउद रहल जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूक प्रहरी उपरीक्षक नवराज अधिकारी जानकारी देलैन अइछ ।
नेपाल क्रिकेट सङ्घके आयोजनमे कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय क्रिकेट मैदानमे इएह पुस ६ गते भेल जनकपुर बोल्ट्स आ सुदुरपश्चिम रोयल्सबीचके खेलक बाद किछ व्यक्तिसभबीच झगड़ा भेल छल । ताहिक्रममे किछ व्यक्ति अपमानजनक शब्द प्रयोग कहैत साम्प्रदायिक सद्भाव विरूद्ध, अपशब्द तथा विभिन्न व्यक्तिकेँ अभद्र व्यवहार केने सम्बन्धमे विभिन्न निकाय तथा सञ्चारमाध्यममे आ पीडितके जाहेरीक आधारमे अनुसन्धान करबाक क्रममे ओसभ पकड़ाएल प्रहरी जनौलक अइछ । घटनामे संलग्न अन्य व्यक्तिसभके खोजी भ रहल ओ जानकारी देलैन अइछ ।
प्रतिक्रिया