तिलाठी (सप्तरी), ६ पुसः सप्तरीमे चाइर सओसँ बेसी बोरा रासायनिक मल जफत कएल गेल अइछ । बजार अनुगमन टोली अगहन १९ सँ पुस ३ गतेधैरमे चाइर सओ पन्ध्र बोरा मल जफत केलक अइछ ।
इएह पुस ३ गते बुधदिन टोली बोदेबरसाइन नगरपालिका–५ मे माँ डाक्नेश्वरी टेड्रर्समे छापमारीमे ५६ बोरा रासायनिक मल जफत कएल सहायक प्रमुख जिला अधिकारी जीतेन्द्रकुमार यादव बतौलैन । हुनका अनुसार डाक्नेश्वरी नगरपालिका–५ मे दर्ता रहल ओइ टेड्रर्स व्लाकमे मल बिक्री करैत आएल छल ।
अगहन १९ गते डाक्नेश्वरी नगरपालिका–९ क आदर्श ट्रेडर्स एन्ड सप्लायर्ससँ दू सओ बीस बोरा आ हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–७ के सत्यनारायण यादवके घरसँ अगहन २६ गते एक सओ ३९ बोरा मल जफत कएल गेल छल । जफत कएल गेल मल साल्ट ट्रेडिङके अनुदान प्राप्तमध्येमेसँ रहल सहायक प्रमुख जिला अधिकारी यादव बतौलैन । उक्त मल जफत करबाक समय सम्बन्धित व्यक्ति नै भेटल तथा कियो नै पकड़ाएल ओ जानकारी देलैन अइछ । अनुगमनके क्रममे बिल बीजकबिना कारोबार करैत आएल चाइरटा संस्थाकेँ जरिवानासेहो कएल गेल अइछ ।
हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–९ के नर्सिङ कृषि संस्था लिमिटेड, जयबाबा गणिनाथ उपभोक्ता संस्था लिमिटेड, हंस उपभोक्ता संस्था लिमिटेडकेँ पाँच हजार आ कृति टेड्रर्स राजविराजकेँ बीस हजार टका जरिवाना कएल गेल सहायक प्रमुख जिला अधिकारी यादव बतौलैन । “जरिवाना कएल सबटा जरिवाना चुकौने अइछ । मल जफत कएल संस्थाक व्यक्तिसभ तत्काल नै भेलासँ कानुनबमोजिम कारबाही आगू बढाएल गेल अइछ ।”
प्रतिक्रिया