काठमाण्डू,
प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली कीर्तिपुरक क्रिकेट रङ्गशालामे समयेमे ‘प्यारापिट’ निर्माण क ‘फ्लडलाइट’ सेहो जड़ान कएल जेबाक बतौलैन अइछ । मन्त्रिपरिषद्के शुक्रदिनक बैसारमे ओइ रङ्गशालामे प्यारापिट निर्माण आ फ्लडलाइट जडान करबाक निर्णय कएल प्रधानमन्त्री ओली सामाजिक सञ्जालमे उल्लेख केलैन अइछ । प्रधानमन्त्री तीन ‘सिफ्ट’मे काज क निर्धारित समयेमे रङ्गशालाकेँ सुविधा सम्पन्न बनाएल जेबाक बतौलैन अइछ ।
“क्रिकेट हमरासभक युवा समाजक प्राण छियै । क्याबिनेटके पहिल बैसारसँ हमरासभ कीर्तिपुरके मैदानमे क्रिकेट रङ्गशालाक प्यारापिट निर्माण आ फ्लडलाइट जडान करबाक निर्णय केने छलौँ,” प्रधानमन्त्री ओली सञ्जालमे लिखने छैथ, “आइ एकर निर्माणक लेल बोलपत्र आह्वान भेल छै ।
आब हमरासभ तीन सिफ्टमे फटाफट काज क एकरा निर्धारित समयेमे सम्पन्न करबाक अइछ ।” प्रधानमन्त्री क्रिकेट रङ्गशाला निर्माणक क्रममे पारस खड्कासहितके राष्ट्रिय खेलाडीसभसँ बातचित कएल कहैत रङ्गशालाकेँ विश्वस्तरके बनाएल जेबाक उल्लेख केलैन । सङे ओ रङ्गशाला निर्माणक काज शीघ्र पूरा करबाक लेल तथा सुझावसङे खबरदारी करबाक लेल सबकेँ आग्रह केलैन अइछ । “नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान)के पदाधिकारीसभ सेहो बरु कनि समय द क विश्वस्तरके रङ्गशालाके बढÞिया ‘डिजाइन’ कएल जाओ, धरफरी नै करब सलाह देने छल,” प्रधानमन्त्री ओली लिखने छैथ, “जमीन प्राप्तिलगायत झन्झटिया प्राविधिक प्रक्रिया सोचलसँ बेसी समय लागलै । उक्त प्रारम्भिक प्राविधिक डिजाइन तय करबाक काजमे किछ देरी जरूर भेल।”
प्रतिक्रिया