महोत्तरी,
गहुँम बुनबाक समयमे बीज नै पाइब क हरान भेल महोत्तरीक किछु किसानकेँ राहत मिलल अइछ । खेतबारी जोइत क तैयार कएलोपर बीज नै मिललासँ हैरान भेल किसानकेँ अपन स्थानीय तह उन्नत गहुँमक बीज ५० प्रतिशत अनुदानमे देलाक बाद राहत मिलल अइछ । मटिहानी आ बर्दिबास नगरपालिकाद्वारा किसानकेँ ५० प्रतिशत अनुदानमे गहुँमक बीज उपलब्ध कराएल गेल अइछ ।
“खेत तैयार कएलियै मुदा बीज तँ नै भेटल”, मटिहानी–६ क किसान नेमत अतुल्ला कहलैन, “एखन नगरपालिका आधा दाममे उन्नत बीज देलक, आब दू–तीन दिनेमे बुनल भ जाएत ।” मटिहानी नगर कार्यपालिकाक कार्यालयक कृषि शाखा नौँटा वाडक नौँ सओ किसानकेँ महोत्तरी कृषि ज्ञान केन्द्र सिफारिस कएल गौतम आ विजय जातक उन्नत गहुँमक बीज वितरण केलक अइछ । गहुँमक बीजके निर्धारित दाम प्रतिकिलो ८५ टकामे एखन किसानके ५० प्रतिशत अनुदानमे ४२ टका २५ पैसामे देल गेल अइछ । तहिना बर्दिबास नगरपालिकाक कृषि शाखा सेहो नगर क्षेत्रमे चाइर सओ २५ किसानकेँ २० सँ ८० किलोग्रामधैर गहुँमक बीज उपलब्ध कराएल गेल अइछ । बर्दिबासमे उन्नत जातक गहुँमक बीज खरिदमे नगर कार्यपालिकाक कार्यालय आठ लाख ५० हजार टका अनुदान उपलब्ध देने कृषि शाखाक प्रमुख साजन दाहाल बतौलैन । एहि नगरक्षेत्रमे एक ४० क्विन्टल गहुँम किसानकेँ वितरण कएल गेल कृषि शाखा जनौलक अइछ ।
बर्दिबासमे कुल नओ हजार पाँच सओ ६५ हेक्टर खेतीयोग्य जमीनमध्ये दू हजार तीन सओ १५ हेक्टरमे गहुँम खेती होइत आइब रहल दाहालक कहब अइछ । जिलामे जमा १५ स्थानीयतह अइछ । सबके मुख्य पेसा खेतीए छै । तँए गहुँममे मात्रे नै भ दोसर बाइल लगेबाक लेल किसानकेँ उत्प्रेरित करब सम्बद्ध स्थानीय तहके नेतृत्व पहलकदमी लेलबाक लेल जिला समन्वय समितिक प्रमुख सुमन कुमार लाल कर्णके सुझाव छैन ।
प्रतिक्रिया