वीरगञ्ज
मधेश–प्रदेशक पर्यटकीय गन्तव्यमे शान्तिसुरक्षाक सु–व्यवस्था मिलेबाक लेल पर्यटक प्रहरी वृद्धि कएल जा रहल अइछ । विदेशी पर्यटककेँ सहजीकरण लेल मधेश–प्रदेशक प्रमुख क्षेत्रमे पर्यटक प्रहरी बढ़ेबाक प्रक्रिया प्रारम्भ भेल अइछ ।
हाल जनकपुर आ वीरगञ्जमे मात्र पर्यटक प्रहरीके व्यवस्था भेलासँ आब ठोरी गाउँपालिकामे नयाँ इकाइ स्थापनाक प्रक्रिया प्रारम्भ भेल अइछ । उक्त पालिकाक अध्यक्ष लालबहादुर श्रेष्ठ पर्यटक प्रहरीके लेल आवश्यक भौतिक पूर्वाधार उपलब्ध करेबाक लेल ई पालिका तैयार रहल बताैलैन । वीरगञ्ज होटल तथा पर्यटन व्यवसायी सङ्घके अध्यक्ष हरि पन्त पर्यटक प्रहरीके अभावमे मधेश भ्रमणमे आबैबला विदेशी पर्यटकके मुश्किल भ रहल छै से नै होबाक लेल आओर सुरक्षाकर्मी परिचालन हेतु स्थानीय प्रशासनसङ हमरासभ आग्रह केलाैँ, बताैलैन ।
“अइ ठाँमक होटल व्यवसायीसभ विभिन्न समयमे प्रहरीसँ अभद्र व्यवहारके सामना करैत आइब रहल छैथ”, ओ कहलैन, “तेहन गतिविधि नै होबाक चाही।” मधेश प्रदेशक प्रहरी प्रमुख प्रहरी नायब महानिरीक्षक लालमणि आचार्य मधेश प्रदेशमे पर्यटकीय क्षेत्रक सुरक्षाक लेल पर्याप्त सुरक्षाकर्मीकेँ पर्यटक प्रहरीके रुपमे परिचालन कएल जा सकै छै, बताैलैन । मधेश प्रदेशक उद्योग, वाणिज्य तथा पर्यटनमन्त्री शकिल अलि मियाँ प्रदेश सरकार पर्यटन प्रवद्र्धनकेँ प्राथमिकतामे राइख क आगू बढ़ल बताैलैन । वीरगञ्ज नाकासँ भारतीय पर्यटकसभ जनकपुर, गढिमाईलगायत अइ ठाँमक धार्मिकस्थलके भ्रमणक लेल अबै छैथ ।
प्रतिक्रिया