जनकपुरधाम, २२ अगहन ः मधेश प्रदेशमे चालू आर्थिक वर्षमे १५ लाख दू हजार चाइर सओ ५८ मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल अइछ । गत आर्थिक वर्षमे १२ लाख ९६ हजार छ सओ ७ मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल छल । वितल आर्थिक वर्षक तुलनामे चालू आर्थिक वर्षमे दू लाख पाँच हजार दू सओ ५१ मेट्रिकटन बेसी धान उत्पादन भेल कृषि प्रसार अधिकृत रोशन कुमार मेहता बतौलैन ।
रोपाइँ आ तकरबादक समयमे पाइन पड़ल छल तँ मल आ बीउ समयमे उपलब्ध भेलासँ उत्पादन बढ़ल हुनक तर्क अइछ । वितल वर्षक तुलनामे एहि वर्षमे पाँच हजार दू सओ हेक्टर बेसी जमिनमे धान खेती कएल गेल छल । वितल वर्ष प्रतिहेक्टर तीन दशमलव ५० मेट्रिकटन धान उत्पाद भेल छल तँ चालू आ.व.मे प्रतिहेक्टर चाइर मेट्रिकटन उत्पादन भेल अइछ ।
सबसँ बेसी सप्तरीमे तथा सबसँ कम रौतहटमे भेल अइछ । सप्तरीमे दू लाख ६१ हजार एक सओ २० मेट्रिकटन, रौतहटमे एक लाख ५० हजार चाइर सओ ८० मेट्रिकटन, पर्सामे एक लाख ८४ हजार सात सओ ४९ मेट्रिकटन, सर्लाहीमे एक लाख ८२ हजार एक सओ ६० मेट्रिकटन आ धनुषामे एक लाख ६६ हजार दू सओ ६० मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल अइछ ।
तहिना, महोत्तरीमे एक लाख ६७ हजार सात सओ ७० मेट्रिकटन, सिरहामे दू लाख नौ हजार पाँच सओ २० मेट्रिकटन आ बारामे एक लाख ८० हजार तीन सओ मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल अधिकृत मेहता जानकारी देलैन । एहिबीच, अइ ठाँमस्थित खाद्य व्यवस्था तथा व्यापार कम्पनी लिमिटेड धान खरिद प्रक्रिया शुरू कएल जनौलक अइछ ।
प्रतिक्रिया